बाबा विद्यापति स्मृति पर्व समारोहसँ विद्यापति बिलाएल भेटैत छथि। न्यूज़ ऑफ मिथिला

0

न्यूज़ ऑफ मिथिला डेस्क : विगत किछु दिनसँ दिल्ली एनसीईआरमे विद्यापतिक स्मृतिमे कार्यक्रमक धमगिज्जर मचल अछि। कोनो एहन हप्ता नहि जाहिमे कोनो ने कोनो कोनामे विद्यापति नामक कार्यक्रम नहि भए रहल अछि। कतहु कतहु तँ एकहि दिनमे दू दू ठाम सेहो भS रहल अछि।

कार्यक्रमक औपचारिक शुरुआत दीप प्रज्वलित कS स्वस्तिवाचन मंत्रसँ होयत देखल जाएत अछि। गोसाउनिक गीत गाओल जाएत अछि जतय लोक एकदोसरकेँ देखैत ठाड़ भS जाएत छथि मुदा राष्ट्रीय गीत जकाँ किएक ठाड़ होयत छथि ताहिपर जतेक मुह ततेक बात। अपना अहिठाम गोसाउनिक गीत बैसि कS गाओल जएबाक परंपरा रहल अछि मुदा एतय राष्ट्रीय गीत जकाँ ठाड़ भS गान करब आब परंपरा बनि गेल अछि।

तकर बाद प्राइम टाइममे नेता सभक आबाजाहि शुरू भS जाएत अछि। आ फेर आयोजक बाबा विद्यापतिकेँ धकिया कS एकात कS नेताक आगत भागतमे भागमभाग करय लगैत छथि। दृश्य देखबा जोग रहैत अछि, ओ अपन आ सान्दर्भिक आयोजनकेँ बिसरि बेसुध भS नेताकेँ चारणमे सर्वस्व न्योछावर कS दैत अछि।

नेताजीक स्वागतमे कलाकार द्वारा स्वागत गान गाओल जाएत अछि। आ तकर बाद मंच आ माइक नेता जीक हाथमे चलि जाएत अछि। नेता जी भीड़ देखितहि राजनीतिक भाषण सँग अपन सेखी बघारैत बाबाजीक बिसरि अप्पन उपलब्धि बखान करबामे मस्त भS जाएत छथि आ उपस्थित दर्शकगण हिनक चपर चपर करब पर पस्त भेल देखल जाएत छथि।

आ फेर ओहि मंचसँ मैथिली सँग हिंदी भोजपुरी सभ तरहक गीत शुरू होयत अछि। विद्यापतिक गीतक नाम पर वएह दू चारिटा सुनल सुनाएल गीत गाओल जाएत अछि। कलाकार सेहो आब नव नव गीतपर मेहनत करब छोड़ि गाओले गीत गाबयमे मस्त छथि।

फेर कतहु कतहु फूहड़ गीतसँ मिथिला भरिमे अपसंस्कृति पसारय बला कलाकारकेँ सेहो मंच आ सम्मान देल जाएत अछि। जाहिसँ हुनकर साहस बढनि आ आगुओ अहिना समाजमे अश्लीलता पसारैत रहय। जुआन होयत रातिक सँग पारंपरिक गीतकेँ तेजि जुआएल अश्लील गीत सभ खूब परोसल जाएत अछि।

आ अन्तमे बाबा विद्यापति समदाउन गीतक लेल एकबेर फेर मोन पाड़ल जाएत छथि आ ‘बड़ सुख सार पाओल तुअ तीरे’ गाबि बाबा विद्यापतिक सँग सँस्कृति सँस्कारक सेहो श्रद्धांजलि दS राति भरिक थाकल ठेहीआएल बाबाकेँ बलधकेल बला मंचसँ विश्राम दS पटाक्षेप करैत अछि।

– रामबाबू सिंह मधेपुर ( लेखक के निजी विचार हैं )

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here